आकृति:मुख्य लेख

Jump to navigation Jump to search

प्रमुख लेख

मैथिली विकिपिडियाक मुख्य पन्नामे भेल मुख्य लेख मासिक रुपमे स्तरीय लेखसभसँ परिवर्तन करवाक व्यवस्था कएल गेल अछि । मैथिली विकिपिडियामे अखन धरि १३,२१३ लेखसभ अछि जहिमे सँ ई बरखक लेल चुनल गेल मुख्य लेखक सूची एतय देखी । ई विकिपिडियामे रहल कोनो लेख मुख्य लेखक लेल चुनल जाएक लेल स्तरीय होनाए अनिवार्य अछि जकर लेल किछ मापदण्डसभ तय कएल गेल अछि । यदि अहाँक मुख्य लेखमे कोनो समस्या बुझबैत अछि वा अहाँ कोनो किसिमक समस्या देखलिए तँ कृपया ई पृष्ठक वार्तालापमे सन्देश देवाक लेल अनुरोध करैत छी ।

{{{2}}}

मिथिला जकरा तिरहुततिरभुक्ति कऽ नामसँ सेहो जानल जाइत अछि, नेपालक दक्षिणपूर्वी भाग आ भारतक बिहार राज्यमे अवस्थित एक भौगोलिक आ सांस्कृतिक क्षेत्र छी । ई क्षेत्र पूर्वमे महानन्दा नदी, दक्षिणमे गङ्गा नदी, पश्चिममे गण्डकी नदीउत्तरमे हिमालयक तलसँ घेरल अछि ।

मिथिला क्षेत्रक मुख्य भाषा मैथिली छी आ ई भाषा बाजनिहार लोकसभकें मैथिल कहल जाइत अछि । मिथिला नाम सामान्यतया विदेह साम्राज्यकें उल्लेख करवाक लेल प्रयोग कएल जाइत अछि आ संगे आधुनिक-कालक क्षेत्रसभ सेहो विदहक प्राचीन सीमासभक भीतर अवैत अछि । १८हम शताब्दीमे, जखन मिथिला क्षेत्रकें दड़िभङ्गा राजद्वारा शासित कएल गेल छल, ब्रिटिश राज एकरा एक रियासत राज्यक रूपमे पहचान नै दऽ ई क्षेत्रमे कब्जा कऽ लेनए छल । हिन्दू धार्मिक ग्रन्थसभमे सबसँ पहिने एकर उल्लेख रामायणमे मिलैत अछि । मिथिलाक उल्लेख महाभारत, रामायण, पुराण तथा जैन आ बौद्ध ग्रन्थसभमे सेहो अछि ।

(पूरा लेख...)
The article is a derivative under the Creative Commons Attribution-ShareAlike License. A link to the original article can be found here and attribution parties here. By using this site, you agree to the Terms of Use. Gpedia Ⓡ is a registered trademark of the Cyberajah Pty Ltd.